Friday, December 17, 2010

kiya Madirayal achhi nayan.....???


1.            किया मदिरायल अछि नयन?


नहिं बनु एना फैशन में आन्हर,
अहॅा छी ताकत, अहॉ दी युवक,
बनु दृढप्रतिज्ञ, बनु दिवाकर।
नहिं फॅसू ई घातक फैशन जाल में,
छीन लेत परिवारक सब सुख-चैन।
किया मदिरायल अछि नयन?
अहॉ छी युवा, समाजक आईना,
अछि उम्मीद अहॉ से बहुत,
नहिं बनाउ मदिरा के गहना।
छी उज्ज्वल भविष्यक किरण अहॉ,
नहिं आनु कुसमय में रैन।
किया मदिरायल अछि नयन?
अछि भयानक एकर परिणाम,
होयत आसाध्य रोग,
जेकर नहिं अछि निदान।
कोन अपराध अहॉक जवानी के,
जेकर अहॉ लै छी कैन?
किया मदिरायल अछि नयन?
नहिं अछि अविनाश धरा पर किछु,
केवल अमिट अछि कर्म, संकल्प एतय।
रहत चिरकाल धरि गवाह बनल,
ई धरती हवा पानि।
चिन्हु अपन कर्तव्य पथ के,
नहिं राखु मदिरायल नयन।
नहिं राखु मदिरायल नयन।




अविनाश कुमार
लालगंज, सरिसब-पाही
मधुबनी
मो.-8051997288
ईमेल-ak25avi@gmail.com

No comments:

Post a Comment